सोनपुर रेलवे स्टेशन बनल देशक पहिल ‘हैपिनेस जंक्शन’

    0
    268

    सोनपुर, मिथिला मिरर: पूर्व मध्य रेलवे के सोनपुर रेलवे स्टेशन पर मंगलदिन ‘हैपिनेस जंक्शन’ के शुरुआत कायल गेल, जतय प्रतीक्षा कय रहल यात्रीक लेल किताब आ विभिन्न प्रकारक मनोरंजन के साधन उपलब्ध कराऑल गेल।

    ईसीआर के एकटा बयानक अनुसार पढ़बाक लेल निर्धारित स्थान पर जर्नल के अलावा किताबक समृद्ध संग्रह अछि। बच्चा के लेल ‘किड्स जोन’ सेहो बनाओल गेल अछि, जतय छोट-छोट बच्चा के लेल विभिन्न तरहक खिलौनाक व्यवस्था कायल गेल अछि। संगहि टीवीक प्रबंध सेहो कायल गेल अछि।

    अहि मे कहल गेल अछि जे, अहि पहल के तहत सक्षम लोक कपड़ा सेहो दान मे दय सकैत अछि, जकर उपयोग जरूरतमंद द्वारा कायल जा सकैत अछि।

    सोनपुर के मंडल रेल प्रबंधक मनोज कुमार अग्रवाल ‘हैपिनेस जंक्शन’ के उद्घाटन करैत कहलनि जे, ई सब रेल खंड मे अपन तरहक बहुत नीक प्रयास अछि। ओ कहलनि जे, अहि तरहक सुविधाक शुरआत मंडल के अन्य स्टेशन पर सेहो जल्दिये कायल जायत।