बाईढ़ मे डूबल जेपी’क गाम

    0
    256

    मिथिला मिरर: बिहार मे बाढ़िक कहर सं लालू आ नीतीशक राजनीतिक गुरु लोकनायक जयप्रकाश नारायणक गाम सिताबदियरा सेहो नहि बचि सकल। बिहार आ उत्तर प्रदेसक सीमा पर बसल अहि गामक हालात एहेन अछि जे, लोक जान जोखिम मे देबाक लेल मजबूर अछि।

    गाम मे बाढ़िक पानिक जलस्तर मे तेजी स बढ़ोतरी भय रहल अछि। यूपी-बिहारक सीमा पर बसलाक कारने गाम मे गंगा आ सरयू दूनू नदीक पानि प्रवेश कय रहल अछि। पानि बढ़ला सं जेपीक जन्मस्थल लाला टोला, अलेखटोला, गरीबा टोला, रामेश्वर टोला और चैन छपराक सब इलाका डूबि गेल अछि।

    गामक लोक राज्य सरकार आ केंद्र सरकार सं मददि नहि भेटबाक आरोप लगा रहल अछि। जेपी’क जन्मस्थली पर बिहार सरकार आ केंद्र सरकार सरयू नदीक तट पर बनल कटाव के रोकबाक नाम पर पिछला किछु साल मे 50 करोड़ स अधिक रुपैया खर्च कय चुकल अछि, मुदा गाम मे बाढ़िक कहर लगातार जारी अछि।

    गाम मे एखन धरि एक्को टा नाव नहि अछि, मुदा छपरा के डीसी दीपक आनंद के मुताबिक गाम के 12 टा नाव मुहैया कराओल गेल अछि। सबस अहम बात जे, ई क्षेत्र बीजेपी सांसद आ केंद्रीय मंत्री राजीव प्रताप रुडी के छन्हि जे छपरा सं सांसद छथि। मुदा एखन धरि ओहो लोकक हाल पुछबाक लेल गाम नहि पहुँचलाह।