उत्तर बिहारक कुख्यात नक्सली राजा राय केलक आत्मसमर्पण

    0
    269

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर मे शुक्रदिन कुख्यात नक्सली राजा राय आत्मसमर्पण कय देलक। जिलाक पश्चिमी दियारा इलाका के नक्सली राजा राय एसएसपी के समक्ष आत्मसमर्पण केलक अछि।

    आत्मसमर्पण करय वला नक्सली भाकपा माओवादी उत्तर बिहार पश्चिमी जोनल कमिटि के राजन उर्फ प्रहार गुट सं जुड़ल अछि। राजा राय बहुतो नक्सली वारदात मे शामिल रहि चुकल अछि।मुजफ्फरपुर के साहेबगंज थाना मे राजा राय के खिलाफ दू टा नक्सली वारदात मे शामिल हेबाक मामला दर्ज अछि।

    आत्मसमर्पण करय वला नक्सली मुख्य रूप सं नक्सली कैम्पक व्यवस्थापक आ संरक्षक छल। अगस्त 2013 मे भेल छापेमारी मे राजा राय के घर सं नक्सली वर्दी सहित बहुतो आपत्तिजनक सामान बरामद कायल गेल छल।

    साहेबगंज के बंगराघाट मे साल 2014 मे गंडक नदी पर पुल आ सड़क निर्माण कय रहल सिंघला कम्पनी के एक दर्जन गाड़ी के जरेबाक मामला मे राजा राय नामजद अछि। एसएसपी विवेक कुमार आ एएसपी राणा ब्रजेश सालो सं नक्सलीक लेल सेफ जोन बनल दियारा के पश्चिमी क्षेत्र सं भेल आत्मसमर्पण के बाद दोसर नक्सली के सेहो मुख्य धारा सं जोड़बाक अपील केलन्हि।