विनोद नारायण झा कहलनि ‘बेनामी संपत्ति जब्द भेला पर छाती पीटताह लालू’

    0
    350

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार भाजपाक मुख्य प्रवक्ता विनोदनारायण झा बेनामी संपत्ति के लय कय राजद सुप्रीमो लालू यादव पर निशाना सधलनि। भाजपा प्रवक्ता कहलनि जे, लालू आब और अधिक छाती पीटताह जहन हुनकर जमा बेनामी सम्पति जब्त कायल जायत। मधुबनी पहुंचल विनोद नारायण झा कहलनि जे, लालू के बेटा साठि लाख वला बीएमडब्लू पर चढ़ैत अछि आ हुनकर पटना के आसपास सौ सं अधिक आवासीय जमीन अछि।

    ओ कहलनि जे आब ओहि सम्पति पर सेहो डंडा चलत। ओ कहलनि जे, पीएम के चौराहा पर आनय के बात करय वला लालू के लागैत अछि जे, अपनहि सं चौराहा पर पहुंच गेल छथि। ओ नोटबंदी के सफल बतेलनि आ सहयोगक लेल जनता के धन्यवाद देलनि।

    ओ कहलनि जे, पहिने साढ़े पांच लाख करोड़ रुपैया बैंक के देल गेल छल जकरा लोक सब लेने छल। आब धीरे-धीरे रुपैया निकालनी रहल अछि, संगहि अहि सप्ताह मे और पांच सौ के नोट उपलब्ध भय जायत।