मैथिली अभियानी वैद्यनाथ चौधरी बैजू कें मातृ शोक

    0
    417

    दिल्ली,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः मिथिला मैथिली आंदोलनक सब सं सशक्त चेहरामे सं एक डाॅ. वैद्यनाथ चौधरी बैजूक माता जी देवकला देवीक देहांत शनिदिन राइत करीब 9 हुनकर पैतृक गांव आनंदपुर सहोड़ामे हृदय गति रूकि गेलाक कारणें भए गेलनि, ओ 95 बरखक छलीह। अहि घटनाक बाद सगरे गाम सहित दरभंगामे शोकक लहर अछि।
    अपने कें बता दी जे लगभग पंद्रह दिन पूर्व डाॅ. वैद्यनाथ चौधरी बैजूक छोटा पुत्रीक निधन मुंबईक टाटा मेमोरियल हास्पिटलमे भए गेल छलनि। पंद्रह दिनमे दू बेर तरहक घटना सं पूरा गामक संग-संग बैजू बाबूक परिवार मर्माहित अछि।