अमेरिकामे सीनेटर बनलीह मैथिलानी

0
1476

मुंगेर, मिथिला मिरर : मिथिला सतत प्रतिभाकेँ धनिक रहल अछि। लगभग हरेक विधामे बेटाकेँ कहै बेटियो कम नै। बदलैत समयकेँ संग राजनीतिमे सेहो मैथिलानिकेँ सहभागिता बढ़ल जा रहल अछि। आब गाम घर केँ कहै महिला प्रखंड, जिलासँ ल’ विधानसभा आ लोकसभा तक अपन प्रतिभा देखा रहलिह अछि। आब देशेटामे नै अपितु विदेशमे सेहो अपन प्रतीभाकेँ दम पर अपन उपस्थिति दर्ज करा रहलिह अछि। हमरे अहाँक बीचसँ निकलल एकटा मैथिलानि धिया अमेरिकाक राजनीतिमे अपन स्थान बनेलिह अछि। बिहारक मुंगेर जिलाक मूल निवासी मोना दास अमेरिकामे डेमोक्रेटिक पार्टीसँ सीनेट सदस्य निर्वाचित भेलिह अछि। हुनका इ सफलता पहिल बेरमे भेटल जे बहुत गर्वक बात अछि। राजनीतिमे इ मुकाम हुनक जनसेवा आ हौसलाक बल पर भेटलनि अछि। ओना त’ मोना आब अमेरिकी नागरिक छथि, मुदा मुंगेरसँ हुनका अखनो बहुत लगाव छनि। मोनाक पैतृक घर मुंगेर जिलाक नक्सल प्रभावित हवेली खडग़पुर अनुमंडलक दरियापुर गाम अछि। गामक बेटीक एहि उपलब्धि पर  बहुत ग्रामीण सभ खुशी जता रहल छथि। अमेरिकामे रहितो मोना अपन पिता सुबोध दास  जे पेशासँ अमेरिकामे इंजीनियर छथि हुनका संग समय-समय पर अबैत रहैत छथि।

मोनाकेँ सिनेटर बनलासँ पैतृक गाममे खुशी

मुंगेर जिलाक दरियापुर गामक बेटी मोना दास अमेरिकाक वाशिंगटन राज्यमे सिनेट सदस्य निर्वाचित भेलिह अछि। मोना मुंगेरक पूर्व सिविल सर्जन डॉ. गिरिश्वर नारायण दासक पौत्री आ अमेरिकाक कैलिफोर्नियामे इंजीनियर सुबोध दासक बेटी छथि। हुनका सिनेटर बनवासँ पूरा इलाकामे खुशीक लहरी अछि। दरियापुर गामक संजय यादव सहित कतेको व्यक्ति कहित छथि जे मोना पूरा दूनियाँमे अपन जन्मस्थान दरियापुर गामक नाम रौशन केलीह अछि। गाममे मोना दासक पितियौत बाबा सहित कतेको लोकसभ एहि उपलब्धिसँ गदगद छथि। पंचायतक  मुखिया रेनू देवीकेँ कहब छनि जे एहि बेर बेटीकेँ गाम एला पर पूरा समाज स्वागत लेल ठाढ़ रहत, हमर सभक इच्छा अछि जे मोनाकेँ सम्मानित करी।

दरियापुर गाममे भेल छल मोनाक जन्‍म

दरियापुर गाममे रहि रहल हुनक पितियौत दादा बतबैत छथि जे मोनाक पिता सुबोध दास आ पित्ती अजय दास अमेरिकामे इंजीनियर छथि। एकटा आर चाचा विजय दास ओतहि डॉक्टर छथि। दादी चमेली देवी कहैत छथि जे मोनाक जन्म दरियापुरमे भेल छनि। साल 1970 मे अमेरिकामे रहि रहल हुनक पिता हुनका जन्म पर आएल छलाह आ बादमे ओ मोना आ हुनकर माँके अमेरिका ल’ गेलाह। मोनाकेँ भाई सोम दासक जन्म अमेरिकामे भेल छनि। मोना जखन लगभग 12-14 के छलिह तखन दरियापुर गाम आयल छलिह। तकरा बाद कोनो विशेष प्रयोजन भेला पर अबैत छथि। मोना आ हुनक छोटे भाई सोमक बियाह अमेरिकामे भेल छनि। मोनाक पति डॉ. जीएन दास सेहो संगे रहैत छथि। अपन गाम घरसँ कोना जुड़ल रहि इ कियो मोनासँ सिखै। लगभग दू साल पहिने मोनाक पिता एकटा विवाहमे आयल छलाह, तखन मोना पिताकेँ मोबाइलसँ अपन सभ सगा-सम्बन्धी सभसँ बात केलिह।

जनसेवा लेल राजनीतिमे एलिह मोना

मोना अमेरिकाक सिनसिनाटी विश्विविद्यालयसँ मनोविज्ञानमे स्नातक केलिह। तकरा बाद पिंचोट विविसँ प्रबंधनमे स्नातकोत्तर केलिह। मुदा जन सरोकार आ जनसेवामे अत्यधिक रुचि रहबाक कारण ओ प्रबंधनसँ बेसी राजनीतिमे आगू बढैत चलि गेलीह। राजनीतिक’ रस्ता एतेक आसन नै छल, मुदा जनसेवाकेँ बल पर जनसमर्थन बढैत गेल संगहि हौसला सेहो बढैत गेल। परिणाम सभक सामने अछि जे मोना आब सीनेटर बनि गेलिह।

मोनाकेँ दादा गाममे बनबेने छथि स्‍कूल

मोनाक दादा  डॉ. जी. एन. दास  दरभंगा, भागलपुर आ गोपालगंजमे सिविल सार्जन रहल छलाह। ओ गोपालगंजसँ सेवानिवृति भेलाक बाद किछु साल धरि अपन गाम दरियापुरमे रहलाह। तकरा बाद बेटा संगे अमेरिका चलि गेलाह। मोनाकेँ दादा डॉ. साहेबकेँ गाममे लगभग 60 बीघा जमीन छलनि। गाममे एकटा सुन्दर सन गाछि छलनि जाहि गाछीक लिगीचमे अपना नाम पर एकटा उच्च विद्यालय खोलवा देलनि, ओहि स्कूलमे दरियापुर सहित  आसपासक आधा दर्जन गामक बच्चा सभ पढ़ैत अछि। शुरुमे डॉ. साहेब स्वयं निगरानी करैत छलाह। मुदा हुनका गेला पर भगवान भरोसे, आइयो इ स्कूल चलैत अछि।