मिथिलामे भ’ रहल अछि पेयजलक समस्या

0
599

दरभंगा, मिथिला मिरर : मनुष्यक शरीरमे 70 फीसदी पानि रहैत अछि। जिनगीक लेल पानि बहुत आवश्यक होइत छैक। एहनमे बिना पानि जिनाइ संभव होयत एहन सोचलो नै जाइत अछि। पहिने महानगरमे पिबा योग्य पानिक अभाव सुनबामे अबैत रहैत अछि। मुदा आब गाम घरसँ सेहो एहन तरहक खबरि अबैत रहैत अछि। एकटा एहने खबरि मिथिलाक दरभंगा जिलासँ अछि। दरभंगा जिलाक बहादुरपुर प्रखंड अंतर्गत आबय लगभग सभ  पंचायतमे पिबइ वला पानि लेल हाहाकार मचल अछि। कतेको पोखरि सूखा गेल अछि आ कतेको चापाकलसँ पानि नै निकलैत अछि। पीएचइडी द्वारा देल जा रहल जल सेवा सेहो पछिला एक माससँ पाइप लीकेजक समस्याकेँ कारण पानि देबामे असमर्थ अछि। पछिला किछु महिनासँ पानिक लेयर बहुत निच्चा चलि गेल अछि। ज्यादातर पंचायतक यैह हाल अछि। एहि कारण लोकसभ दूर-दूरसँ साइकिल आ मोटरसाइकिलक सहारे पानि आनि रहल छथि। स्थानीय जनप्रतिनिधि लोकनिकेँ तरफसँ प्रशासनकेँ लिखित जानकारी देल गेल अछि, मुदा एहन गंभीर विषयपर अखनि धरि कोनो कारवाई नै कएल गेल अछि। जाहिसँ लोकसभ आक्रोशित छथि। सबसँ बेसी समस्या बहादुरपुर, देकुली, ब्यूनी अंदामा, हरपट्टी, बरुआर पंचायतमे अछि। जतय पानि लेल टैंकर तक मौजूद नहि अछि। एतयकेँ लोक सभ बड्ड मुश्किलसँ पानिक ओरियान करैत छथि। लोकसभ पिबा लेल पानि डिब्बा सभमे भरि क’ रखबा लेल मजबूर छथि। ब्यूनी अंदामामे किछु दिन धरि त’ टैंकरसँ आपूर्ति कएल गेल। मुदा टैंकरक भुगतान नहि भेला पर संचालक आपूर्ति बंद क’ देलक। तहियासँ टैंकर गामेमे ठाढ़ अछि आ लोक सभक मुँह चिढ़ा रहल अछि। लोकसभ चेतावनी देलनि अछि जे जल्दिए एहि समस्याक निदान नहि होयत त’ सड़क पर आंदोलन कएल जायत। प्रखंडक सभ 23 पंचायत ओडीएफ घोषित भ’ चुकल अछि। मुदा अखनि धरि सात निश्चय योजना अंतर्गत लगाओल गेल नलसँ पानि एबाक इंतजार क’ रहल छथि। कतेको स्थान पर  पाइपक गहराई कम होयबासँ इ समस्या आबि रहल अछि। एहि बातक सेहो लिखित शिकायत स्थानीय प्रशासनसँ कएल गेल अछि। एहि तरहक समस्या पर जाँच हेबाक बात स्थानीय स्तर पर चलि रहल अछि मुदा कहिया धरि पूरा होयत से कियो नै बता रहल अछि।

समस्याक समाधान नहि भेला पर आंदोलन तय :

बहादुरपुर देकुलीकेँ पंचायत समिति सदस्य बबीता देवीकेँ कहब छनि जे पानिक एहन समस्या पछिला एक माससँ बनल अछि। लिखित शिकायत देलाकेँ बावजूद कोनो कार्यवाही नहि भ’ रहल अछि। ओतहि सुमन कुमारकेँ कहब छनि जे पानि लेल हाहाकार मचल अछि। लेकिन प्रशासनक नजरि एहि पर नहि छनि। समस्या पर काज नै कएल जायत त’ आंदोलन भेनाई तय। हरपट्टीक अजीत कुमार कहैत छथि जे एक त’ मौसमकेँ मारि आ दोसर पानिक समस्यासँ जिनाइ दुर्लभ भ’ गेल छैक। प्रशासनकेँ एहि पर ध्यान देबाक चाही। ओतहि रामभद्रपुरक शिव कुमारकेँ कहब छनि जे पानि लेल विकराल स्थिति बनल अछि। सरकारकेँ जल्दसँ जल्द टैंकर सुविधा शुरू क’ देबाक चाही।

आब सभसँ गंभीर बात जे स्थानीय प्रशासनकेँ नींदसँ जगबाक जरूरत छैक। एक तरफ जनता पानि लेल बेहाल छथि आ दोसर दिस प्रशासन तमाशा देखी रहल अछि। एहने बुझना जायत अछि। जनतब होयत जे पछिला किछु सप्ताहसँ पानि लेल मिथिलाक विभिन्न हिस्सासँ खबरि आबि रहल अछि जेना दरभंगे जिलाक जाले प्रखंडक राढी पंचायत तहिना एहि जिलाक हायाघाटसँ एहने खबरिकेँ सूचना अछि। एहनमे आखिर कोन तरहें एहि समस्यासँ कोना निजात भेटत, एकटा गंभीर प्रशन ठाढ़ क’ रहल अछि।