‘पुलिसक चुनौती व समस्या’ विषय पर वाद-विवाद प्रतियोगिता आयोजित

    0
    284

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जिला स्तर पर आयोजित पुलिस सप्ताहकें पांचम दिन (रविदिन) नगर थाना परिसरमे ‘पुलिसक चुनौती एवं समस्या’ विषय पर पक्ष एवं विपक्षमे वाद-विवाद प्रतियोगिताक आयोजन कएल गेल। जाहिमे रिजनल सेकेंड्री स्कूल, पोल स्टार, इंडियन पब्लिक स्कूल, शिवगंगा बालिका जमा दो उच्च विद्यालय व विवेकानंद मिशन विद्यापीठकें विद्यार्थी सब भाग लेलनि।

    उक्त विषय पर हिंदी व अग्रेजी भाषामे वाद-विवादक आयोजन कएल गेल। जाहिमे भाग लेबय वलामे नैना सिंह, राहुल कुमार, माही राज, अर्चना सिंह, ज्योत्सना शांडिल्य, सौरभ कुमार, अभिषेक कुमार, आंद्री शिया, कुमार पुष्पेश, सदाशिव ब्रह्मभट्ट, कुमार संभव आदि शामिल छल।

    वाद-विवाद प्रतियोगिताक संचालन पोल स्टारके शिक्षक आरके सिंह केलनि। हिंदी भाषामे उक्त विषय पर आयोजित वाद-विवाद प्रतियोगितामे पोल स्टारक विद्यार्थी ज्योत्सना शांडिल्य प्रथम, सौरभ कुमार द्वितीय तथा रिजनल सेंकेंड्रीके छात्र राहुल कुमार तृतीय स्थान पर रहलाह।

    जहन कि अंग्रेजी भाषामे आयोजित वाद-विवाद प्रतियोगितामे इंडियन पब्लिक स्कूलके आंद्री शिया प्रथम, विवेकानंद मिशन विद्यापीठके कुमार शंभव द्वितीय तथा पोल स्टारके अभिषेक कुमार तृतीय स्थान पर रहलाह।