प्रवेश पत्र सं वंचित मैट्रिकक छात्र सब केलक बीडीओ सं शिकायत

    0
    410

    दरभंगा, मिथिला मिरर: माध्यमिक परीक्षाक प्रवेश पत्र नहि भेटला सं परीक्षामे शामिल होई वला छात्र-छात्राकें बीच असमंजसकें स्थिति बनल अछि। प्रवेश पत्र सं वंचित उच्च विद्यालय कुशेश्वररस्थानकें आधा दर्जन सं अधिक छात्र बीडीओ सं प्रवेश पत्र उपलब्ध करेबामे सहयोग करबाक गुहार लगेलक अछि। विपिन बिहारी साह, सबनम खातून, आशीष कुमार दास, भारती कुमारी, मोहम्मद समशेर आलम सहित बहुतो छात्र अलग अलग आवेदन दय बीडीओ सं गुहार लगेलक अछि।

    आवेदनमे कहल गेल अछि जे, 1 मार्च सं प्रारंभ होबय वला वार्षिक परीक्षाक लेल प्रवेश पत्र एखन धरि नहि उपलब्ध कराओल गेल अछि। अहि संबंधमे जहन विद्यालयके प्रधानाध्यापक सं कहल गेल त ओ अप्पन जवाबदेही सं भगैत कहलनि जे, सबकेँ बोर्ड कार्यालय जाए पड़त।

    अहि बाबत बीडीओ राकेश रौशन जिला शिक्षा पदाधिकारीकें छात्रक समस्या सं अवगत करौलनि। ओ कहलनि जे, प्रधानाध्यापककें प्रवेश पत्र सं वंचित छात्रक निबंधन सूची लय कार्यालयमे एबाक लेल कहल गेल अछि।