दरभंगा जिलाक बिरौल थाना कोइलाजान गांवमे नाव दुर्घटना, 4 के मौत कतेको घायल

    0
    347

    दरभंगा,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः मधुबनीमे भेल भीषण बस दुर्घटनाक बाद आब दरभंगा जिलाक बिरौल थाना कोइलाजान गांव से नाव दुर्घटनाक एकटा अप्रिय खबैर आबि रहल अछि। अहि नाव दुर्घटनामे 4 गोट लड़कीक मौत भए गेल जखन कि करीब आधा दर्जन सं बेसी लोककें लापता हेवाक बात सामने आबि रहल अछि।
    मृतक कनाम गमगम कुमारी-20, ज्योति कुमारी-18, दुखी कुमारी-12, कामनी-8 बरख। जखन की तीन गोट घायलकें गंभीर अवस्थामे इलाजक लेल अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल अछि। बिरौल डीएसपी घटना स्थल पर पहुंच स्थितिक जायजा लए रहला अछि।
    फोटोः काल्पनिक