बिहार कैबिनेट के बैठक, बाढ़ि राहतक लेल 315 करोड़ रुपैयाक राशि मंजूर

    0
    294

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार सरकार के मंत्री, उप-मंत्री, राज्य मंत्री आब अप्पन कार्यालय आ आवासक सजावट पर डेढ़ लाखक बदले आब तीन लाख रुपैया तक खर्च कय सकैत छथि। शुक्रदिन बिहार कैबिनेटक बैठक मे अहि प्रस्ताव के मंंजूरी देल गेल।

    मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अध्यक्षता मे भेल अहि बैठक मे कुल 41 गोट एजेंडा पर मुहर लगाओल गेल।कैबिनेट बाढ़ि राहतक लेल 315 करोड़ रुपैयाक राशि के मंजूरी देलनि। राज्यक मंत्री के कार्यालय आ आवासक सजावटक लेल नव मानक बनाओल गेल अछि, जाहि के तहत सजावटक लेल खर्च करय बला राशि के डेढ़ लाख स बढ़ा कय तीन लाख कय देल गेल।

    कैबिनेटक बैठक मे 8 डॉक्टर समेत 9 लोगक सेवा स बर्खास्तगी कय देल गेल। 8 डॉक्टर जिनका बर्खास्त कायल गेल अछि। ओहि मे डॉक्टर लीला सिन्हा, निखिल रोहतगी, नवीन कुमार, देवेन्द्र कुमार सिंह, राघवेंद्र झा, मंजू नाथ, ब्रजकिशोर और जयश्री सिन्हा शामिल छथि। बैठक मे एक उत्पाद अधीक्षक सुधीर कुमार मिश्र के बर्खास्त करबाक फैसला केलक अछि।

    कैबिनेट पुलिस आधुनिकीकरणक लेल 40.40 करोड़ रुपैया, जल संरक्षणक लेल 30 करोड़ रुपैया, पौधारोपण के लेल 10 करोड़ रुपैया, वैशाली और छपरा मे सड़क निर्माणक लेल 280 करोड़ रुपैया खर्च करबाक फैसला के पारित केलनि।