स्किल डेवलपमेंट आ पर्यटन विकासमे सहयोग करत जापान

0
541

दिल्ली, मिथिला मिरर :  बिहार आ जापानकेँ प्रांत प्रीफेक्चरल नाराक बीच सिस्टर स्टेट एग्रीमेंट होयत। एहिसँ दुनु देशक बीच शिक्षा, स्किल डवलपमेंट, पर्यटन, आर्थिक आ सांस्कृतिक गतिविधिकेँ बढ़ावा भेटत। एहि लेल उद्योग विभागक नोडल एजेंसी बनाओल गेल अछि। जल्दिए विभागमे एकटा विशेष सेल सेहो बनाओल जायत। उद्योग विभागक प्रस्ताव पर शिक्षा, श्रम संसाधान, कला एवं संस्कृति आ पर्यटन विभाग अपन सहमति द’ देलनि अछि। विकास आयुक्तक अध्यक्षतामे भेल बैठकमे सेहो समझौताक मसौदा पर सहमति लगा देलक अछि। जल्दिए इ प्रस्ताव कैबिनेट लग भेजल जायत।

एहि समझौताक बाद राज्यमे जापानी भाषा, स्किल डेवलपमेंट आ पर्यटनकेँ बढ़ावा भेटत। जापान, राज्यकेँ संस्थान सभक संग मिलकेँ स्किल डेवलपमेंटक क्षेत्रमे मदद त’ करबे करत संगे, जापानी भाषाकेँ अध्ययन केंद्र खोलबामे सेहो सहयोग करत। जापानमे स्किलड लोकक खूब माँग अछि मुदा, ओतय नौकरी लेल जापानी भाषाक ज्ञान भेनाई जरूरी छैक। स्किल डेवलपमेंटक लेल राज्यक आईटीआई आ दोसर संस्थानसँ सेहो समझौता क’ सकैत अछि।

फरवरीमे भेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक जापान यात्राक दौरान राखल गेल छल नींव 
एहि समझौताक नींव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार फरवरी 2018 मे अपन जापान यात्राकेँ दौरान रखने छलाह। मुख्यमंत्री जापानकेँ नारा प्रांत आ बिहारक बोधगयाकेँ सिस्टर स्टेटक रूपमे जोड़बाक प्रस्ताव देने छलाह। नारा प्रांतकेँ गवर्नर शोगो अरई एहि प्रस्तावकेँ समर्थन करैत एकर अनुपालनक लेल सेहो अपन सहमति जतौने छलाह। समझौताकेँ अमली-जामा पहिरेबामे  भारतीय दूतावास सेहो मदद करत। बोधगयाक वैचारिक आ आध्यात्मिक जुड़ाव सेहो जापानकेँ नारा प्रांतसँ अछि। नारा जापानकेँ होंशू द्वीप पर स्थित राज्य अछि। नाराक आबादी लगभग 13.65 लाख अछि। बिहारक बोधगयाक जेना नारा सेहो बौद्ध मंदिरक लेल विख्यात पर्यटक स्थल अछि। एतय बिहारी आ भारतीय समुदायक आबादी सेहो अछि।