हरेक बाढ़ि पीड़ित परिवार के भेटत 9800 रुपैया

    0
    265
    पटना, मिथिला मिरर: आपदा प्रबंधन विभागक प्रधान सचिव व्यास जी सब जिलाक प्रधान के निर्देश देलनि जे, अतिशीघ्र बाढ़ि पीड़ित परिवार के नगद भुगतान कायल जाए। ओ कहलनि जे, जाहि परिवारक घर बाढ़ि मे टूईट गेल हो ओहि परिवार के 9800 रुपैयाक नगद भुगतान कायल जाय। आ जिनकर घर नहि टूटलनि ओ एहेन परिवार के 6000 रुपैयाक भुगतान कायल जाय।
    ओ कहलनि जे, सब जिलाधिकारी के निर्देश देल गेल अछि जे, बाढ़ि मे भेल गृह क्षति आ फसल क्षतिक आकलन कय अतिशीघ्र विभाग के जानकारी देल जाय, ताकि किसानक फसल क्षति आ गृह क्षति अनुदानक भुगातान कायल जा सकय।
    दोसर दिस राज्य मे नदिक पानिक स्तर घटबाक बावजूद बाईढक कहर मे कमी नहि आबि रहल अछि। एखन धरि बाढ़िक पानि मे डूबिकय मरय बलाक संख्या 64 भय गेल। आपदा प्रबंधन विभागक संयुक्त सचिव अनिरुद्ध कुमार कहलनि जे,एखनहु पूर्णिया, किशनगंज, अररिया, दरभंगा, मधेपुरा, भागलपुर, कटिहार, सहरसा, सुपौल, गोपालगंज, पूर्वी चम्पारण और मुजफ्फरपुर जिलाक 33 लाख लोक बाढ़िक समस्या स ग्रसित छथि।