किडनी रोग सं लड़ि रहल मैथिल सेनानी ‘ललन दरभंगावला’क मदद लेल एकजूट होइ

    0
    404

    दिल्ली-मिथिला मिररः मुंबई सं एकटा मर्माहित करय वला समाचार किछु दिन पूर्व आएल छल जखन मिथिला-मैथिलक एकटा सशक्त स्वयं सेवक ललन चौधरी उर्फ ललन दरभंगावला अपना फेसबुक वॉल पर अपन स्वस्थ्यक विषयमे बात करैत लिखने छलाह जे हुनकर किडनी खराब भय गेलनि आ ओ गंभीर रूप सं बेमार छथि। अहि बातकें संज्ञानमे लैत मुंबईक सशक्त मैथिल सेनानी आ युवा लोकनि वॉट्सअप पर ग्रुप बना ‘ललन दरभंगा वाला हेल्प’ के रनाम सं ललन जी केर स्वस्थ्य खर्चक लेल एकजूटता देखेवाक एकटा सार्थक कोशिश कैलनि। ललन जी स्थिति ठीक नहि छन्हि आ हुनका शीघ्र इलाजक आवश्यकता छन्हि।
    चूंकि मिथिला मिरर कें संपादक स्वयं अपना पिताजीक अहि बेमारी सं लड़ला अछि ताहि हेतु किछु जानकारी ललन जी विषयमे रखैत आम मैथिल जन सं एक भय अहि मैथिलपूतक लेल जे किछु सार्मथ होइ ओहि अनुकूल धन सं हुनका ममद करियौन से आग्रह क रहल छथि। एखन ललन जी इलाज के. एम. हॉस्पिटल, परेल पूर्व, मुंबईमे चलि रहल छन्हि। जाहि ठाम रविदिन हुनकर पहिल डायलिसिस भेलनि अछि।
    ललन जीक इलाज कोना हेतनि से जानि लेल जाउ
    ललन जीक यूरिया आ क्रेटनिन बहुत बढ़ि गेल छन्हि ताहि हेतु हुनकर यूरिया आ क्रेटनिन कें कम करवाक लेल हुनका कंठमे बामा भाग दू गोट पाइप डाइल कऽ कम सं कम 1 महिना धरि (सप्ताह मे 2 अथावा 3 बेर) हुनकर डायलिसिस हैव नितांत आवश्यक छन्हि। अहि बीचमे हुनका बामा हाथमे फेस्टुला बनतनि जाहिमे खर्च करीब 20 हजार तक आएत प्राइवेट हॉस्पिटलमे ओकरा बनवामे 1 मास समय लागत।
    दरअसल ललन जी सरकारी हॉस्टिपल मे छथि ताहि हेतु हुनका पंद्रह सं मास दिनमे एकटा डायलिसिस भेटतनि जाहि सं हुनकर इलाज संभव नहि छन्हि ताहि हेतु हुनकर इजाल प्राइवेट हॉस्टिपल सं कराएब बहुत आवश्यक अछि। ओहिकें बाद जखन डॉक्टर किडनी ट्रांसप्लांटक बात करत त ओहो मे कुल 7-8 लाख टकाक बजट बैसत। ताहि लेल जतेक नेट सेवी सं छी ओ अगर 500-500 टका अपना कमाईमे सं दय देवन्हि त ओहि सं हुनकर इलाजमे बहुत सहायता हेतनि।
    मिथिला मिरर समस्त मैथिल सेनानी आ मैथिल समाज सं आग्रह करैत अछि जे अपने सब बेसी सं बेसी अहि मैथिलपूतकें लेल आगू आबि आ हुनका स्वास्थ्य हेवामे अपना यथा शक्ति सहयोग दियैन। जे सेवा ललन जी मिथिला-मैथिलीक लेल केलाह अछि ओ बेकार नहि जाइ ताहि दिस एकटा सार्थक डेग बढ़ाओल जाए।

    ललन जी तक आर्थिक मदद पहुंचेवाक लेल अकॉउंट नंबर अपने लेकनि कें उपल्बध करोआल जाएत।