विधान परिषदमे मैथिलीमे शपथ लेलाह विनोद नारायण झा आ अर्जुन साहनी

    0
    306

    दिल्ली-मिथिला मिररः भारतीय जनता पार्टीक कोटा सं विधान पार्षद बनल पूर्व विधायक आ बिहार बीजेपीक मुख्य प्रवक्ता विनोद नारायण झा बिहार भाजपाक मत्स्य प्रकोष्ठक प्रदेश अध्यक्ष अर्जुन साहनी विधान परिषदमे मैथिलीमे शपथ लए एक बेर फेर सं मैथिली भाषाकें विधानसभा-विधान परिषदमे मजगूत केलाह।
    विधान पार्षद चुनल गेलाक बाद मिथिला मिरर कें संपादक अर्जुन साहनी कें फोन कऽ मैथिलीमे शपथ लेवाक आग्रह केने छलाह जे किछु सोचैत विचारैत ओ हां केने छलाह। मिथिला मिररक बात रखैत अर्जुन साहनी मैथिलीमे शपथ लेलाह जाहिकें लेल हुनका समस्त मैथिलीक दिस सं बहुत-बहुत धन्यवाद। ओमहर पूर्व सं मैथिलीमे शपथ लैत आबि रहल विनोद नारायण झा एक बेर फेर सं मैथिलीकें अवाज कें बुलंद करवाक कार्य कैलनि जे हुनका सं पूर्व सं अपेक्षित छल।
    मिथिला मिररक संपादक सं बातचीत करैत विनोद नारायण झा कहला जे हम मैथिलीकें मजबूत करवाक बेर-बेर अवाज उठवैत रहलौह आ भविष्यमे सेहो अपन कर्तव्यक पथ पर अग्रसरित रहब। हिनका दुनूकें अलावे कमरे आलम, गुलाम रसूल बलियावी, तनवीर अख्तर, सीपी सिन्हा, रणविजय कुमार सिंह हिन्दीमे शपथ लेलाह।