मुजफ्फरपुरमे बस आ मोटरसाइकिलक ठोकर सं बाप-बेटाक मौत

    0
    302

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: सरैया बाजारक मोती चौक पर सोमदिन मोटरसाइकिल आ यात्री बसक ठोकरमे बाप-बेटाक मौत भए गेल। मृतकक पहचान सिवान जिलायक बसंतपुर थाना अंतर्गत नंदपुर गाम निवासी अवधेश सिंह आ पुत्र हिमाशु कुमारक रूपमे कएल गेल अछि। दरोगा विकास कुमार घटनाक पुष्टि केलनि अछि।

    प्रत्यक्षदर्शिके अनुसार, टक्कर एतेक जबरदस्त छल जे, किछु दूर तक गाडीके टकरेबाक आवाज सुनल गेल। मोटरसाइकिल सवार बाप-बेटा गाड़ीमे फंसि गेल छल। मृतककेँ निकाबामे लोकक हिम्मत जवाब दए रहल छल। काफी मशक्कतकें बाद निकालि कए एसकेएमसीएच पठाओल गेल। हालांकि, हादसामे एक गोटेक मौका पर मौत भए गेल छल, जहनकि दोसर अस्पताल जाए घडी दम तोड़ि देलक।