सीतामढ़ी मे छह दोकान सं करीब तीन लाखक चोरी

    0
    318

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: डुमरा थाना क्षेत्रक धनुषी गाम मे रविदिन राति छह गोट दोकानक शटर व ताला तोड़िकय नगद समेत तीन लाख रुपैयाक सामान चोरी भय गेल। पीड़ित दोकानदारक आवेदन पर डुमरा थाना पुलिस मुकदमा दर्ज कय मामलाक छानबीन शुरू कय देलक अछि।

    चोर धनुषी बाजार स्थित कृष्णा टेलर्स सं नगद पांच हजार समेत सिलाई मशीन व कपड़ा, बबलू मोबाइल सं इनवर्टर, बैट्री, कैमरा, मोबाइल समेत पचास हजारक समान, रामजतन रायक चप्पल दोकान स 10 हजार नकद समेत जूता-चप्पल, मधुकर मोबाइल सं नगद पांच हजार रुपैया समेत बैट्री, इनवर्टर, मोबाइल सहित पचास हजार रुपैयाक संपत्ति, प्रवीण कम्यूनिकेशन सं इनवर्टर, मोबाइल, बैट्री समेत 30 हजारक सामान, सूरज डेयरी व जेनरल स्टोर सं नगद 15 हजार समेत कॉस्मेटिक के सामान समेत 50 हजार रुपैयाक सामान चोरी कय लेलक अछि।

    स्थानीय लोकक अनुसार चोर सामान लय जेबाक लेल पिकअप वाहनक प्रयोग केलक अछि। सूचना के बाद डुमरा थाना पुलिस घटनास्थल पहुंच कय वारदातक मुआयना केलक अछि।