नेपालमे मधेशीक संग पुलिसक झड़प, फायरिंगमे सात गोटेक मौत

    0
    314

    नेपाल, मिथिला मिरर: बिहारकें सुपौल जिला सं सटल पड़ोसी देश नेपालमे पुलिस आ मधेशीक बीच भेल झड़पमे सात गोटेक मौत भए गेल। जिलाकेँ सप्तरी स्थित राजविराजमे नेपाल पुलिस आ मधेशी मोर्चाके कार्यकर्तामे झड़प भेल छल। अहि दौरान पुलिस प्रदर्शनकारी पर आंसू गैसक गोला दगबाक संग जमि कए फायरिंग केने छल।

    अहि घटनामे एखन धरि सात गोटेक मौतक पुष्टि भेल अछि। जहन कि मृतकक संख्या और बढ़बाक आशंका अछि। जानकारीके अनुसार नेपालक पूर्व प्रधानमंत्री के पी शर्मा ओलीके नेतृत्वमे नेपालके मेची सं महाकाली (पूर्वी नेपाल सं पश्चिमी नेपाल) रथयात्रा कार्यक्रमके अंतर्गत सोमदिन सप्तरी जिला मुख्यालय राजविराजमे आम सभा हेबाक छल।

    अहि सभाकें मधेशी मोर्चा विरोध कय रहल छल। अहिक लेल नेकपा एमाले आ मधेशी मोर्चामे झड़प भेल आ भीड़कें नियंत्रित करबाक लेल नेपाल पुलिसक दिस सं मधेशी मोर्चाक कार्यकर्ता पर फायरिंग कएल गेल। फायरिंगमे दर्जन सं अधिक लोक घायल भेल अछि।

    घटना स्थल सं लयकय अस्पताल धरि लोकक चीख-पुकार सुनबाक लेल भेटि रहल छल। प्रत्यक्षदर्शिक अनुसार नेपाल पुलिसक गोली दू दर्जन सं अधिक गोटेकें लागल, अहिमे लोकक स्थिति गंभीर बताओल जा रहल अछि।