दरभंगा कारा गृहमे कैदी आ कक्षपालक़ बीच मारिपीट

    0
    308

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: सोमदिन भोरमे दरभंगाक कारा गृहकें भीतर कार्यरत कक्षपालक संग कैदी द्वारा मारिपीटक घटनाक संबंधमे कक्षपाल ब्रजेश कुमार द्वारा लहेरियासराय थानामे आवेदन दय प्राथमिकी दर्ज कराओल जल। कक्षपाल अपन आवेदनमे कहलनि जे, सोमदिन 8 बजे वार्ड 1 मे ड्यूटी के समय रेयाज उर्फ़ सूर्याक फोन पर बात करैत देखि ओकर फोन लेलहुँ जकरा बाद जेलक अन्य बन्दी राकेश कुमार रोशन ठाकुर, शिव मुनि झा, पंकज कुमार सिंह आ अमित कुमार यादव उर्फ सलमान द्वारा घेरि कय मोबाईल वापस लेल गेल, संगहि बंदी गाली गलौज करैत छत सँ फेकबाक कोशिश कल्क। अहिकेँ बाद कक्षपाल भिशील बजा अपन कर्मीकें बजौलनि। जकरा बाद कक्षपाल मुक्त कराओल गेल।