बीएसईबी रद्द केलक बिहारक 50 गोट कॉलेजक मान्यता

    0
    453

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार सरकार एक बेर फेर पैघ कार्रवाई करैत राज्यक 50 गोट कॉलेजक मान्यता निरस्त कए देलक। जाहि कॉलेजक मान्यता निरस्त कएल गेल अछि, ओ बिहार विद्यालय परीक्षा समितिक लागू 2011कें नियमावलीक शर्त पूरा नहि करैत अछि।

    अहि कार्रवाईक जानकारी दैत बोर्डक अध्यक्ष आनंद किशोर कहलनि जे, राज्यक 53 कॉलेज पर बोर्ड कार्रवाई केलक अछि। आनंद किशोर कहलनि जे, मापदंडकें पूरा नहि करय वला 50 गोट कॉलेजक मान्यता रद्द कएल गेल अछि, ओतहि एकटा संस्थानक संबद्धता निरस्त आ दू टा संस्थानक मान्यता निलंबित कएल गेल अछि।

    ओ कहलनि जे, कुल 212 ऐहेन कॉलेज जकर मान्यता विगत दू साल सँ पहिने देल गेल छल ओकर जांच लगभग पूरा कए लेल गेल आ एखन धरि 202 कॉलेज आ विद्यालयक मान्यता रद्द कएल जा चुकल अछि। ओ कहलनि जे, 12 माध्यमिक आ उच्च माध्यमिक विद्यालयक सेहो जांच कराओल जाएत। ज्ञात हो कि 2016मे बिहारमे भेल इंटर टॉपर्स स्कैमक बाद बिहार विद्यालय परीक्षा समिति बहुतो कॉलेजक जांच शुरू केने छल।