हथियारक संग पकड़ल गेल आधा दर्जन कुख्यात अपराधी

    0
    261

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: बिहारक मधेपुरा जिला मे पुलिस अपराधक योजना बना रहल आधा दर्जन अपराधी के गिरफ्तार केलक अछि। जिलाक उदाकिशुनगंज थाना क्षेत्रक शाहजादपुरक लुखी टोला गामक समीप पुलिस अपराधी के ओहि समय गिरफ्तार केलक जहन अपराधक योजना बना रहल छल।

    गिरफ्तार अपराधी मे दुर्दांत अपराधी सरगना भूषण मंडल सेहो शामिल अच्छज़ी। अपराधी सरगनाक संग सं पुलिस एकटा लोडेड देसी पिस्तोल, 13 जिंदा कारतूस, तीन टा मोबाइल, दू टा चाकू, एक टा टार्च आ नगद रुपैया बरामद केलक अछि।

    उदाकिशुनगंजक एसडीपीओ अरूण कुमार दूबे कहलनि जे, गुप्त सूचनाक आधार पर पुलिस छापेमारी केलक जाहि मे छह अपराधी के अवैध हथियार तथा जिंदा कारतूसक संग गिरफ्तार कायल गेल।

    अपराधी सरगना भूषणक विरूद्ध विभिन्न थाना मे आधा दर्जन सं अधिक संगीन मामला दर्ज अछि।सरगना भूषणक आलमनगर के कोसी दियरा मे आंतक छल। किसान सं लेवी वसूलबाक आ डकैती करबाक सरगना भूषणक मुख्य पेशा छल।