विभिन्न समस्याक निदानक लेल किरतपुर प्रखंड मे बैसक

    0
    380

    दरभंगा, मिथिला मिरर: घनश्यामपुर स्थित किरतपुर प्रखंड पर शुक्रदिन प्रखंडक प्रमुख, उपप्रमुख प्रखंड विकास पदाधिकारी तथा सब जनप्रतिनिधिक बैसक कायल गेल। जाहि मे शौचालय निर्माण कार्य लेल हेतु श्रम बजट के लेल छटल योजनाक सम्मिलित करबा एवं अनुदान पर विचार कायल गेल।

    शौचालय निर्माणक लेल जागरूकता अभियान चालू केनाय, शौचालय निर्माणक लेल सूचि तैयार करब तथा एक परिवारक सर्वेक्षण मे छूटल नाम शामिल केनाय पर किरतपुर प्रखंड विकास पदाधिकारी द्वारा बताओल गेल।

    कुबौल ढंगा पंचायतक मुखिया द्वारा रोगी कल्याण समिति किरतपुर के विकलांग व्यक्तिक समस्या के विषय मे बताओल गेल प्रखंड के जाहि विकलांग व्यक्तिक विकलांग प्रमाण पत्र नहि अछि, हुनकर प्रमाण पत्र बनेबाक बात केलनि आ संगहि रोगी कल्याण समितिक बैसक करबाक बात रखलनि।