दरभंगामे आइसाकें प्रदर्शन सं रेल आ सड़क यातायात बाधित

    0
    275

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: राज्यव्यापी कार्यक्रमकें तहत आइसा कार्यकर्ता सोमदिन रेल आ सड़क पथकें बाधित करबाक प्रयास केलक। कार्यकर्त्ता टीइटी परीक्षामे बीएड सत्र 2016-17 कें छात्रकें शामिल करबाक मांग कय रहल छल। सोमदिन भोरे 8 बजे सब सं पहिने छात्र दरभंगा स्टेशन पहुंचकय दिल्ली जाए वला बिहार सम्पर्क क्रांतिकें रोकबाक प्रयास केलक।

    अहिकेँ बाद एनएच-57 पर मब्बीकें समीप छात्र घंटो यातायात बाधित कए देलक। अहि मौका पर आइसाकें राज्य सह सचिव संदीप कुमार चौधरी कहलनि जे, 6 साल बाद सरकार टीइटी परीक्षा आयोजित कए रहल अछि। मुदा अहिकेँ बावजूद 2016-17 के बीएड सत्रक विद्यार्थी शामिल नहि कए रहल अछि।

    ओतहि आनंदपुरमे दरभंगा-बहेड़ी पथकें सेहो घंटो जाम कएल गेल। जाममे अमरजीत कुमार पासवान, मो. नासिर, जयजयराम पासवान, सोनू, मुरारी, सुमन कुमार झा, चंदन कुमार, प्रणव कुमार, धीरज कुमार, सुरेश कुमार, राजीव कुमार आदि शामिल छल।