शहाबुद्दीन कहलनि नीतीश कुमार परिस्थिति के मुख्यमंत्री, लालू यादव एकमात्र नेता

    0
    291

    भागलपुर, मिथिला मिरर: आरजेडी नेता आ पूर्व सांसद मोहम्मद शहाबुद्दीन शनिदिन भागलपुर जेल स रिहा भय गेलाह। जेल गेट स बाहर निकलैत देरी शहाबुद्दीन नीतीश कुमार के पारिस्थितिक मुख्यमंत्री कहि राजनितिक माहौल मे अप्पन उपस्थिति दर्ज करौलनि। मीडिया कर्मी सं बात-चीत मे शहाबुद्दीन कहलनि जे, आरजेडी प्रमुख लालू यादव एकमात्र हमर नेता छथि, जहन कि नीतीश कुमार नीतीश कुमार परिस्थितिके मुख्यमंत्री छथि। बीजेपी नेता सुशील मोदी पर कटाक्ष करैत पूर्व सांसद कहलनि जे, हम मोदी के गंभीरता स नहि लैत छी।

    शहाबुद्दीन कहलनि जे, हम अप्पन छवि बिल्कुल नहियो बदलब। जनता हमरा 26 साल स अहि छवि मे पसंद आ प्यार कय रहल अछि। ओ कहलनि जे, यदि जनता हमरा सफेद कपड़ा मे पसंद करत त हम सफेद कपड़ा पहिरब आ यदि जींस मे पसंद करत त जींस पहिरब।