11 साल बाद बाहुबली नेता शहाबुद्दीन रिहा

    0
    291

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहार के बहुचर्चित तेजाब कांड के एकमात्र चश्मदीद गवाह राजीव रोशन के हत्याक मामला मे 11 साल बाद सीवान के पूर्व सांसद आ बाहुबली राजद नेता मोहम्मद शहाबुद्दीन शनिदिन भागलपुर जेल स रिहा भय गेलाह। हालांकि पत्रकार सं बातचीत मे शहाबुद्दीन कहलनि जे, हम 13 साल बाद घर जा रहल छी।

    जेल स छूटतहि शहाबुद्दीन मीडिया स बात-चीत के दौरान कहलनि जे, सब के बुझल अछि जे हम निर्दोष छलहुँ आ हमरा फसाओल गेल छल। हम अप्पन छवि आखिर कियैक बदलबी। हम पिछला 26 साल स जेहेन छी, जनता हमरा स्वीकारलक अछि। हमरा अदालत जेल भेजने छल आ अदालते आय जमानत देलक अछि।

    अहि सं पहिने शुक्रदिन जेल के बाहर शहाबुद्दीन के समर्थक मे अप्पन नेताक रिहाई के लेल खूब गहमागहमी देखल गेल। बेल बॉन्ड मे शहाबुद्दीन के हस्ताक्षर आ संबंधित कॉपी जमा करबा के बाद सीवान स रिलीज ऑर्डर एबाक इंतजार होईत रहल, मुदा देर सांझ धरि रिलीज ऑर्डर नहि पहुंचल, जाहि कारने शहाबुद्दीनक रिहाई एक दिन के लेल टालल गेल छल।