राष्ट्रीय लोक अदालत मे सम्मानित कायल गेलाह बिजली विभागक एसडीओ सुभाष चन्द्र

    0
    250

    मधुबनी, मिथिला मिरर: राष्ट्रीय लोक अदालत मे उत्कृष्ट कार्य करबाक लेल बिजली विभागक एसडीओ सुभाष चन्द्र प्रसाद के अनुमंडलीय विधिक सेवा समिति झंझारपुर के सचिव सह प्रभारी एसडीजेएम मानवेन्द्र मिश्र प्रशस्ति पत्र दय सम्मानित केलनि।

    ई पहिल बेर भेल अछि जे, न्यायालय द्वारा कोनो अधिकारी के हुनक काजक लेल सराहना करैत प्रशस्ति पत्र देल गेल हो। ई सम्मान हुनका दस सितम्बर क आयोजित राष्ट्रीय लोक अदालत मे सकारात्मक कार्य करबाक लेल देल जायत।

    प्रशस्ति पत्र मे कहल गेल अछि जे, बिजली बिभागक मामला मे लंबित दस मामला अनुमंडल के विभिन्न क्षेत्रक बिजली स संबंधित छल। ओकर निष्पादन एसडीओ काफी तत्परता स केलनि। अहि अवसर पर विधिक सेवा समिति के प्रभारी अवकाश कुमार मिश्र, दीपक कुमार सहित बहुत लोक उपस्थित छलाह।