आपसी दुश्मनी मे दस वर्षक बच्ची’क संग केलक क्रूर व्यवहार

    0
    281

    पटना, मिथिला मिरर: बिहटा मे एकटा दिल दहला देबय बला हिंसक घटना सामने आयल अछि। जानकारी के अनुसार आपसी दुश्मनी के कारण एकटा 12 वर्षीय बच्ची के पडोसी द्वारा निर्मम हत्या कय देल गेल।सूत्रक अनुसार पहिने बच्ची के के अगुवा कायल गेल आ झाड़ी मे लय जा कय बहुत क्रूरताक संग बच्ची के आँखि मे चाकू घोपि देल गेल। एतबे नहि दरिंदा के मोन जहन अहियो सं नहि भरल त बच्ची के गर्दनिक नस काटि देलक।

    बच्ची के लापाता हेबाक बाद परिजन राति भरि बच्ची के ताकैत रहला। अहि क्रम मे तीन बजे भोर मे बच्ची के कराहबाक आवाज सुनि कय लोक पहुँचल। स्थानीय लोकक अनुसार बच्ची के तत्काल अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि, जतय सं बच्ची के पटना रैफर कय देल गेल।