कटिहारमे लाखो रुपैयाक नकली नोट बरामद

    0
    502
    कटिहार, मिथिला मिरर: शिखा झा: गुप्त सूचनाक आधार पर कटिहार जिलाक कुरसेला थाना छेत्रक अयोध्या गंज बाजारकें जमाई टोल निवासी उमेश मंडलकें घर पुलिस छापामारी कए लाखो रुपैयाक नकली नोट बरामद कएल गेल। जाहिमे दू हज़ार, पांच सौ आ एक सौ रुपैयाक नोट शामिल अछि।
    पुलिस आरोपीकें रिश्तेदार आ मित्र सबहक घर सेहो छापेमारी केलक अछि। अहि मामलाक बाद एसपी, एसडीपीओ आ इंस्पेक्टर द्वारा थाना पहुँच कय जाँच कएल जा रहल अछि। बरामद नोटक गिनती कएल जा रहल अछि।