भाजपा प्रत्याशिक नाम एकहि सूचीमे जारी होएत

    0
    332

    दिल्ली, मिथिला मिरर: निगम चुनावमे 272 सीताक लेल आब भाजपाक 3000 प्रत्याशी पर विचार कएल जा रहल अछि। 30 हजार आवेदन सं अहि 3 हजार प्रत्यशीकें अलग कएल गेल अछि। प्रत्याशिक चयनके लेल बुधदिन भाजपा चुनाव समितिक बैसक भेल छल। जाहिमे तय कएल गेल जे, पार्टी एकहि सूचीमे सब प्रत्याशीक नामक घोषणा करत।

    बैसककें अध्यक्षता भाजपा प्रदेश अध्यक्ष मनोज तिवारी केलनि। सांसद आ जिलाध्यक्ष संग भेल अहि चर्चाक 30 हजार नामकें हटाओल गेल। पार्टी अहि चुनावमे अधिक सं अधिक युवा प्रत्याशीकेँ मैदानमे उतारबाक योजना बना रहल अछि।