बिजलीक तार खसला सं 200 एकड़ गहूम खाक

    0
    274

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहारक बेगूसरायकें बरौनी थानाक असुरारीमे रविदिन बिजलीक तार सँ आगि लागि गेल जाहिमे लगभग 200 एकड़ सँ अधिक गहूंमक फसल जरिकय राख बनि गेल। लोकमे अहि बातक लेल काफी आक्रोश अछि, महज एक किलोमीटरक दूरी पर दमकलक गाड़ी रहलाक बावजूद दमकल घटनास्थल पर पहुंचबामे दू घंटा सँ अधिक समय लागि गेल। बादमे मौका पर पहुंचल दमकलक 5 गोट गाड़ी एवं स्थानीय लोकक मददि सँ आगि मिझाएल गेल।

    ज्ञात हो कि पिछला साल सेहो यही जगह पर आगि लागल छल, जाहिमे हजारो एकड़मे लागल फसल जरि गेल छल। एम्हर, सीवानमे सेहो बिजलीक तार सँ खाली खेतमे आगि लागल छल। घटना सराय ओपी थाना क्षेत्रक अतरसुआं गामक अछि।

    आगि सं कोनो प्रकारक क्षति होबए सं पहिनहि ग्रामीण तत्परता सँ आगि मिझा लेलक। हालांकि लोकमे बिजली विभागक प्रति काफी नाराजगी देखल जा रहल अछि।