एलएनएमयू’क दीक्षांत समारोह मे 593 छात्र-छात्राकें भेटल प्रमाण पत्र

    0
    322

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे आयोजित दीक्षांत समारोह के दौरान 25 गोट छात्र-छात्रा के स्वर्ण पदक आ प्रमाण पत्र सं सम्मानित कायल गेल। ओतहि 593 छात्र-छात्रा के प्रमाण पत्र देल गेल। कुलाधिपति के नहि एबाक कारण उपस्थित लोक मे निराशा देखल गेल।

    कुलसचिव अजीत कुमार सिंह अप्पन संबोधन मे कहलनि जे, हमसब कुलाधिपतिक सुक्ष्म उपस्थिति महसूस कय रहल छी। कार्यक्रमक प्रारंभ राष्ट्र गान सं भेल। अहि सं पहिने परंपरा के अनुसार विद्वत शोभायात्रा निकालल गेल। मंचासीन अतिथि के विश्वविद्यालय दिस सं स्वागत करैत प्रतिक चिन्ह भेट कायल गेल।

    विश्वविद्यालय कुल गीत स्रातकोत्तर संगीत एवं नाट्य विभागक छात्र-छात्रा द्वारा प्रस्तुत कायल गेल। अहि मौका पर विश्वविद्यालय के प्रति-कुलपति प्रो. मुमताजुद्दीन, पूर्व कुलपति डॉ. समरेन्द्र प्रताप सिंह, एस.एम झा के अलावा वैज्ञानिक मानस बिहारी वर्मा सहित सब डीन, सीनेट सिंडीकेटक सदस्य, प्रधानाचार्य, शिक्षक आ कर्मी मौजूद छलाह।