हरहच्चा पंचायत पूर्ण शौचालय युक्त घोषित

    0
    445

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशान्त झा: बहेड़ी प्रखंडक हरहच्चा गाम के पूर्ण शौचालय युक्त घोषित कयल गेल। अहि के लय क पंचायत मे समारोहक आयोजन कयल गेल छल। जाहि मे भाग लेबाक लेल जिलाधिकारी चंद्रशेखर सिंह पहुंचल छलाह। अहि अवसर पर जिलाधिकारी हरहच्चा पंचायत के पूर्ण शौचालय युक्त घोषित कएलनि।

    ग्राम सभा केर सम्बोधित करैत जिलाधिकारी कहलनि जे, स्वच्छता सामाजक लेल आवश्यक अछि आ अहि के लेल समाजिक क्रांति ज़रूरत होइत अछि। महात्मा गाँधी सेहो स्वतंत्रता सं अधिक स्वच्छता के महत्व देन छलाह। मौका पर उप विकास आयुक्त विवेकानन्द झा, डीआरडीए के निर्देशक जेड. हसन समेत बहुत रास लोक मौजूद छलाह।