प्रधानमंत्री मोदी सं भेंट कऽ मिथिलाक समस्या सं अवगत करेलाह सांसद बीरेन्द्र चौधरी

    0
    350

    दिल्ली-मिथिला मिररः झंझारपुर सं बीजेपीक लोकसभा सांसद बीरेन्द्र कुमार चौधरी बुधदिन प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सं भेंटघांट कय हुनका मिथिला सं जुड़ल विभिन्न समस्याक विषयमे जानकारी देलनि आ ओहिकें निदानक हेतु आग्रह केलाह। मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा केर संग भेल विशेष बातचीत मे सांसद बीरेन्द्र चौधरी कहला जे प्रधानमंत्री हमरा सब बातकें सहज रूप सं सुनलाह आ मिथिलाक समुचित आ चहुमुखी विकासक वचन सेहो देलाह।
    सांसद कहला जे हम प्रधानमंत्री लग मिथिलाक विभिन्न चीनी मिलक बात उठौलहू जाहिमे मधुबनी-दरभंगा जिलाक बंद पड़ल लोहट रौयाम आ सकरी मिल प्रमुख अछि। सांसद कहला जे हम प्रधानमंत्री कें अहु बात सं अवगत करौलहु जे लोहट चीनी मिल देेशक पैघ चीनी मिलमे सं एक छल आ एकर अपन रेल सेवा सेहो छल। एतबे नहि पंडौल आ झंझारपुरमे बंद पड़ल पेपर मिल कें चालू करेवाक बात सेहो हुनका लग रखलौह। मधुबनीमे केन्द्रीय विद्यालय सहित सैनिक विद्यालयक मांग कें सेहो प्रमुखता सं राखि प्रधानमंत्री कें अवगत करौलियैन।
    सांसद चैधरी कहला जे पर्यटन पर प्रधानमंत्री कें ध्यान आकृष्ट करावैत हुनका लग बलिराज गढ़ आ राजनगरक चर्चा आ ओकर इतिहास सं जुड़ल तथ्य प्रधानमंत्री कें बतेलाक बाद ओ और बेसी गंभीरता सं अहि प्रश्नकें सुनलाह। संगहि अपना जिला सं निकलै वला बहुत रास नदी पर सुलीस गेटक निमार्ण करेवाक लेल सेहो हुनका सं आग्रह केलियैन। संगहि सकरी-निर्मली छोटी लाइन कें बड़ी लाइनमे बदलवाक लेल कार्यक प्रगति विषयमे प्रधानमंत्री सं चर्चा भेल।
    सांसद कहलाजे बातचीत बहुत बेसी सार्थक रहल आ प्रधानमंत्री हर संभव मिथिलाक विकासक लेल आश्वासन देलाह। सांसद कहला जे प्रधानमंत्री जी जाहि तरहें हमरा बात कें सुनलाह आ ओहिकें बाद आश्वासन देलाह ओहि सं इ कल्पना कैल जा सकैत अछि जे आवै वला दिनमे मिथिलाक चहुमुखी विकास हेवेटा करतै।