आवंटन मे कटौती सं मुजफ्फरपुर मे गहरायल बिजली संकट

    0
    295

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: कांटी थर्मल के बंद होईते मुजफ्फरपुर समेत उत्तर बिहार मे बिजलीक संकट गहरा गेल अछि।  दू दिन स मुजफ्फरपुर जिला के महज 100-110 मेगावाट बिजली भेट रहल अछि। एकर नतीजा अछि जे, शहर सं ग्रामीण इलाका धरि काफी कम बिजलीक आपूर्ति भय रहल अछि।

    सबस अधिक दिक्कत भिखनपुरा रामदयालुनगर ग्रिड सं जुड़ल इलाका मे भय रहल अछि। भिखनपुरा ग्रिड स शहर मे दू सं ढाई एवं ग्रामीण इलाका मे तीन सं चारि घंटा के रोटेशन पर बिजलीक आपूर्ति
    भय रहल अछि। जाहि सं लोक काफी परेशान अछि।

    सर्दीक मौसम हेबाक कारने लोक के पंखा, कूलर चलेबाक झंझट त खत्म  गेल अछि, मुदा लगातार बिजली नहि रहलाक कारण पानिक परेशानी सेहो भय रहल अछि। बृहस्पति दिन दिनभरि शहरी फीडर के शट डाउन के नाम पर बंद राखल गेल।

    ओतहि एसकेएमसीएच स जुड़ल चंदवारा 33 केवीए लाइन मे परेशानी के कारण भोर सं दुपहर धरि चंदवारा के संग मिस्कॉट फीडर स आपूर्ति प्रभावित रहल। मिठनपुरा इलाका मे भोर मे बेर-बेर बिजली कटि रहल छल।