पुलिस वाहन पर पथराव, कहुना जान बचा कए भागल पुलिसकर्मी

    0
    303

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: थाना क्षेत्रक भगवानपुर कमला पंचायतमे आक्रोशित लोक सब पुलिस वाहन पर हमला कए क्षतिग्रस्त कये देलक। वाहन पर भेल पथरावमे बहुतो पुलिस कर्मी जख्मी भेल अछि।एनएच 28 सं सटल दोकानमे भेल अगिलग्गीक घटनाकें सूचना पर पुलिस पहुंचल छल। लोकके उग्र तेवर देखि पुलिस ओतए सं जान बचाकए भागि गेल। ओतहि भीड़मे फोटो खिचय वला एकटा मीडियाकर्मीकें संग सेहो धक्का-मुक्की कए भगबाक लेल कहल गेल। अहि क्रममे मीडियाकर्मीक कैमरा क्षतिग्रस्त भए गेल।

    घटनाक बाबत बताओल गेल अछि जे, दोकानमे आगि लगबाक सूचना भेटलाक काफी समय बाद धरि फायर ब्रिगेडके नहि पहुंचला सं लोक आक्रोशित छल। पुलिसकेँ अबितहि लोक पुलिसकें भगा देलक। दर्जनो युवक एक संग पुलिसक जीपकें घेरकय लाठी, डंडा आ पाथर सं प्रहार करए लागल। पुलिस जान बचाकए ओतए सं गाड़ी छोड़िकए कहना भागए पर विवश भए गेल।

    लोक द्वारा पुलिस आ मीडियाकर्मीक संग बदसलूकी करबाक सूचना पर थानाध्यक्ष मधुरेंद्र किशोर एकटा युवककें हिरासतमे लए पूछताछ शुरू कए देलनि।