जहरीली शराब सं भेल छल गोपालगंज मे 19 गोटेक मौत, विसरा रिपोर्ट’क खुलासा

    0
    300

    गोपालगंज, मिथिला मिरर: बिहार के गोपालगंज मे 19 लोकक मौत’क कारण जहरीली शराब छल। मौत के बाद विसरा जांच रिपोर्ट मे अहि बातक पुष्टि कायल गेल। फिलहाल ई जांच रिपोर्ट गोपालगंज के अदालत आ एसपी के उपलब्ध नहि कराओल गेल अछि, मुदा दू-तीन दिन मे रिपोर्टक आधिकारिक प्रति उपलब्ध करा देल जायत।

    ज्ञात हो कि गोपालगंज मे भेल घटना के बाद स अधिकारी लोकनि जहरीली शराब के मौतक कारण नहि मानि रहल छलाह, मुदा विपक्ष लगातार मौतक कारण जहरीली शराब बता रहल छल।

    ज्ञात हो कि मीडिया मे खबर एलाक बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शराब स मौतक आशंका जताबैत पुष्टि के लेल विसरा रिपोर्टक इंतजार कहबाक लेल कहने छलाह। रिपोर्ट के मुताबिक मृतको के “विसरा” जांच में “इथाइलक” संग उच्च शक्ति के “मिथाइल” अल्कोहल भेटल अछि। विधि विज्ञान प्रयोगशाला (एफएसएल) ई रिपोर्ट तैयार केलक अछि।