जदयू सांसद देलनि महिला के जान सं मारबाक धमकी

    0
    308

    मिथिला मिरर: जदयू के सांसद कौशलेंद्र कुमार पर एकटा महिला जान स मारय के धमकी देबाक मामला दर्ज करौलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे महिला, सासंद पर जबरन जमीन हथियाबय आ महिला के जान स मारबाक धमकी दय रहल छल। सूत्रक अनुसार जहन महिला अहि मामलाक शिकायत करबाक लेल थाना पहुंचली त पुलिस महिला के डाँटि-डपटि कय भगा देलक।

    महिला के अनुसार आब मामला कोर्ट मे दर्ज कराओल जा चुकल अछि। अहि मामला मे सांसद सहित तीन गोटेक आरोपी बताओल गेल अछि। महिला के अनुसार सांसद कौशलेंद्र कुमार महिला के घर के बगल मे जमीन खरीदलाह। ताहि दुआरे जबरन महिला के मकान पर कब्ज़ा करबाक प्रयास कायल जा रहल अछि।