आम आदमी पार्टीक घोषणा पत्र जारी, हाउस टैक्स माफ़ आ डेंगू सं मुक्ति मुख्य मुद्दा

    0
    258

    दिल्ली, मिथिला मिरर: पहिल बेर दिल्ली नगर निगम चुनावमे हिस्सा लए रहल ‘आम आदमी पार्टी’ बुधदिन पार्टी कार्यालय सं अपन घोषणापत्र जारी केलक। घोषणापत्रमे कहल गेल अछि एमसीडीमे सरकार बनला पर हाउस टैक्स माफ कएल जाएत आ तीन सालक भीतर दिल्ली डेंगू सं मुक्त भए जाएत। अहि घोषणाकेँ पार्टीक बड़ पैघ दांव मानल जा रहल अछि।

    बुधदिन पत्रकार वार्तामे पार्टीक संयोजक आ दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल एमसीडी चुनावक लेल पार्टीक घोषणा पत्र जारी केलनि। ओ स्‍वच्‍छ दिल्‍लीक संग भवनक लेल नक्शामे आबि रहल परेशानीकें खत्‍म करबाक भरोसा दिएलनि। ओतहि, केजरीवाल कहलनि जे, किराएदारक लेल दिल्लीमे पानि माफ आ बिजली सस्ता कएल जाएत।

    आम आदमी पार्टीक घोषणा पत्रमे हाउस टैक्स माफ करबाक बात शामिल अछि। पार्टी सं जुड़ल रणनीतिकार एकरा एमसीडी चुनावमे केजरीवालक पैघ दांव मानि रहल छथि। ‘आम आदमी पार्टीक’ घोषणा पत्र भाजपा, स्वराज इंडिया आ कांग्रेसक घोषणापत्र जारी हेबाक बाद आएल अछि।