आम आदमी पार्टीक विधायक पर जानलेवा हमला, कांग्रेस पर आरोप

    0
    270

    दिल्‍ली, मिथिला मिरर: आगामी 23 अप्रैल कए दिल्‍लीमे नगर निगम चुनाव होबय वला अछि, अहि बीच ओखला सं आम आदमी पार्टीक विधायक अमानतुल्ला खान पर जानलेवा हमला हेबाक मामला सामने आयल अछि। आरोप अछि जे मोटरसाइकिल सवार युवक विधायक पर नजदीक सं तीन राउंड फायरिंग केलक। हालांकि अमानतुल्ला खान बाल-बाच बचि गेलाह। ओ अहि हमलाक लेल कांग्रेसकें जिम्‍मेदार ठहरेनि अछि।

    रिपोर्टक अनुसार, ई घटना मंगलदिन देर रातिक अछि। आप सं पार्षदक चुनाव लड़ि रहल महमूद अहमद कहलनि जे, रातिमे बटला चौक स्थित ऑफिसमे कांग्रेस समर्थक द्वारा हमला करबाक सूचना भेटल छल। अहिकेँ बाद जहन ओ अमानतुल्ला खानके संग मौका पर पहुंचल त ओतय आप आ कांग्रेस समर्थकके बीच मारिपीट जारी छल।

    ऐहेनमे अमानतुल्ला खान बीच-बचावक लेल आगू आबि गेलाह, तखनहि 2-3 टा लड़का गोली चला देलक आ मौका सं फरार भए गेल। हमलामे अमानतुल्ला बाल-बाल बचि गेलाह। आप नेता हमलाक आरोप कांग्रेस नेता शोएब दानिश पर लगा रहल अछि।