गाछ सं लटकल भेटल 15 वर्षीय किशोरी’क लहास

    0
    297

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा के हायाघाट थाना क्षेत्रक खरारी पुल के समीप खेत मे बुधदिन भोर मे शीशो के गाछ सं एकटा 15 वर्षीय किशोरक लहास भेटल। लहास के देखबाक लेल लोकक भीड़ उमड़ि पड़ल। सूचना भेटतहि हायाघाट थाना पुलिस लहास के कब्जा मे लय पोस्टमार्टम के लेल डीएमसीएच पठा देलक।

    थानाध्यक्ष कौशल कुमार कहलनि जे, लहासक पहिचान बहेड़ी थानाक्षेत्रक आधारपुर गाम के श्याम मांझी के 15 वर्षीय पुत्री बबीता कुमारी के रूप मे कायल गेल अछि। ओ कहलनि जे, मृतक के दादा’क बयान पर यूडी केस दर्ज कायल गेल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, उक्त किशोरी अप्पन घर स मंगलदिन अचानक गायब भय गेलीह। परिजन समुच्चा राति खोजबीन केलनि मुदा बच्ची कतहु नहि भेटल। बुधदिन भोर मे शौचक लेल निकलल लोक लहास के गाछ सं लटकल देखलक।