हम केँ फर्स्ट बिहार बला पोस्टर सऽ चिराग पासवान ओ लोजपा निपत्ता, नीतीशक समर्थन मे मांझी

0
955

पटना, मिथिला मिररः बिहार चुनाव सऽ पहिने एनडीए मे लोक जनशक्ति पार्टी ओ जीडयू मे शीत युद्ध जारी अछि। किछु दिन पूर्व लोक जनशक्ति पार्टी बिहार विभिन्न अखबार मे विज्ञापन दऽ बिहार फर्स्ट, बिहारी फर्स्ट केँ नारा देने छल। आब ओकरा काटक रूप मे जदयू दिस सऽ एनडीएक एकटा अन्य घटक दल हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चा सामने आएल अछि। पूर्व मुख्यमंत्री तथा हम अध्यक्ष जीतन राम मांझीक पटना स्थित आवासक बाहर एकटा पोस्टर लगाओल गेल, जाहि पोस्टर सऽ राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधनक प्रमुख सहियोगी दल लोक जनशक्ति पार्टी नदारद अछि। नमहर सन पोस्टर मे जीतन राम मांझी केँ प्रमुखता सऽ देखओल गेल अछि, संगहि बैनर मे बिहारक मुख्यमंत्री एवं जदयू अध्यक्ष नीतीश कुमार एंव भाजपा नेता तथा उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी केँ सेहो जगह देल गेल छनि।
जहिया सऽ जीतन राम मांझी एनडीएक हिस्सा बनलाह तहिये सऽ ओ लगातार लोक जनशक्ति पार्टीक खिलाफ हमलावार छथि। जीतन राम मांझी पहिनहि स्पष्ट कऽ चुकल छथि जे हुनकर गठबंधन जदयूक संग छनि आ जरूरत पड़त तऽ हम अपन उम्मीदवार लोजपा उम्मीदवारक खिलाफ उतारि सकैत अछि। हम केँ ई बयान तखन आएल जखन चिराग पासवान दिस सऽ कहल गेल जे लोजपा अपन उम्मीदवार जदयूक खिलाफ उतारि सकैत अछि।
एहि पोस्टर प्रकरण पर जखन हम प्रवक्ता सऽ पूछल गेलनि तऽ हुनकर स्पष्ट कहब छल जे हमरा एहि विषय मे कोनो ठोस जानकारी नहि अछि जे मांझीक घरक बाहर पोस्टर कोन समर्थक लगौलक आ ओहि पोस्टर मे की लिखल छैक। इहो स्पष्ट अछि जे बिहार मे दे वर्तमान सरकार अछि ओहि मे लोजपा शामिल नहि अछि। जखन ई पूछल गेल जे लोजपा सेहो एनडीएक हिस्सा अछि तऽ हम प्रवक्त कहलनि जे ई बात चिराग पासवान सऽ पूछल जाए जे ओ लगातार मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक प्रति कियैक हमलावर छथि। एतेक तऽ तय अछि जे एहि पोस्टर वाॅर मे एखन बहुत किछु देखब बांकी अछि।