दोसर चरणमे 60% भेल मतदान, चुनावी हिंसाक केन्द्र रहल मिथिला

    0
    279

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारमे पंचायत चुनावक दोसर चरणक मतदान बृहस्पतिदिन सांझ 5 बजे  संपन्न भय गेल। राज्यक 38 गोट जिलाक कुल 60 गोट प्रखंडमे कुल 60 प्रतिश मतदान कैल गेल। प्रचंड गर्मीक बावजूदो आम मतदाता लोकनिक उत्साह बनैत देखना जा रहल छल। भोरे जखन मतदान शुरू भेल तखन प्रायः हर मतदान केन्द्र पर भारी संख्यामे मतदाता लोकनिक लाइन देखल गेल मुदा जहिना-जहिना सूर्य देव अपन अग्नि समाज रौद्र रूपमे आवैत गेलाह मतदानक प्रतिशतमे ओहिना-ओहिना कमी दर्ज कैल गेल, लेकिन अंतिमकें दू घंटा फेर जमि कऽ मतदाता अपन मताधिकार प्रयोग केलाह।
    पहिल चरणमे भेल व्यापक घटनाक जेका अहु चरणमे बहुत जगह सं अलग-अलग घटनाक खबैर आवैत रहल। दोसर चरणक खास बात इ रहल जे अहि चरणमे भेल हिंसामे 3 गोट व्यक्तिकें अपन जान सं हाथ धोवय पड़लनि आ हिंसाक केन्द्र बिन्दु मिथिला क्षेत्र रहल। सहरसा जिलाक सत्तर कटैया कें सिहौल पंचायतक मुखिया आ राजद नेता अनिल मुखियाकें अज्ञात अपराधी गोल माइर क हत्या कय देलक। अनिल पैछला तीन बेर सं पंचायतक मुखिया छलाह आ अहु बेर चुनाव मैदानमे जोरशोर सं जीतवाक लेल तैयारी मे छलथि। तहिना सहरसाकें सिमरी बख्तियारपुरकें मोहनिया गांवमे मतदानक दरम्यान भेल झड़पमे भेल गोलीबारीमे एकटा युवकक हत्या भय गेल।
    तेसर घटनाक खबैर भोजपुर जिलाक बिहिया स्थित मंझोली पंचायतक जज भड़सड़ा गांव सं आयल जाहिठाम सेहो दू गुटक बीच भेल गोलीबारीमे एक व्यक्ति जान चलि गेल। एकर अलावे सूबेक समस्त जिलाक सं छिटफुट घटना खबैर अवैत रहल।