दोहरा हत्याकांडक कैदी के पुलिस करा रहल अछि शॉपिंग

    0
    257

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: एक दिस जतय अपराधी के गोलीक गूंज सं पुरा जिला थर्रा रहल अछि, ओतहि दोसर दिस पुलिस दोहरा हत्याकांडक आरोपी कैदी के शॉपिंग करेबा मे जुटल अछि। अंगारघाट थानाक पुलिस के जे आई कैल्ह पुलिसक साख के ताख पर राखि कय हत्याकांडक आरोपी के शॉपिंग करेबा मे जुटल अछि।

    सोमदिन साँझ मे लगभग साढ़े छह बजे थाना रोड स्थित यूनिक कलेक्शन मे ई नजारा देखबाक भेटल। जतय अंगारघाट थानाक सिपाही जोगेंद्र महतो आ शंभू राय दोहरा हत्याकांडक आरोपी भगवान बाबू के हाथ मे हथकड़ी लगा कय शॉपिंग करा रहल छल।

    अहि आरोपी के गिरफ्तार करबा मे पुलिस के पंद्रह महीना लागल छल। ज्ञात हो कि अंगारघाट थाना क्षेत्र के डढि़या असाधर गाम मे 15 माह पूर्व रामनवमी के दिन जन वितरण प्रणाली के अध्यक्ष अभय पांडे उर्फ ललन पांडे के अपराधी गोली मारिकय हत्या केने छल।थी।