मिथिलाक बेटी हॉकीमे क’ रहल छथि कमाल

0
1298

पूर्णिया, मिथिला मिरर : मिथिलामे प्रतिभाकेँ कोनो कमी नै अछि। मिथिलाक धिया ककरोसँ कोनो क्षेत्रमे कम नै छथि। एहने एकटा धिया खेलक क्षेत्रमे नीक प्रदर्शन क’ रहल छथि। अति साधारण परिवारिक परिवेशमे पलल-बढ़ल काजल लकड़ा राष्ट्रीय स्तर पर जिलाक नाम रोशन क’ रहलिह अछि। काजल बिहार महिला हॉकी टीमक एकटा खिलाड़ीक तौर पर राष्ट्रीय टूर्नामेटमे अपन शानदार प्रदर्शनसँ सभकेँ प्रभावित केलनि अछि। काजल एकटा एहन परिवारसँ अबैत छथि, जतय बचियाकेँ खेलक मैदानमे भेजब त’ दूरक बात एतय धरि जे बेटीकेँ पढ़बाक लेल सेहो दूरक स्कूलमे नै पठाओल जाइत अछि। काजल पूर्णिया जिलाक बीकोठीक रहय वाली छथि। पिता मजुरी करैत छथि जाहिसँ घरक खर्च चलैत छनि। गरीबीक चारदीवारीसँ निकलि काजल पहिने जिलास्तर पर तखन राज्य आ आब राष्ट्रीयस्तर पर हॉकी मैदानमे अपन प्रतिभाकेँ साबित क’ रहलिह अछि। राज्य स्तरीय टूर्नामेटमे सभसँ बेसी गोल क’ काजल अपन लोहा मनवा चुकल छथि। यैह कारण छैक जे शहरक युवा खिलाड़ि सभक बीच ओ बहुत लोकप्रिय छथि। हुनक एहि प्रतिभा आ क्षमताकेँ देखैत जिला निर्वाचन आयोग हुनका 2019 केँ लोकसभा चुनावमे जिला आइकॉन बनेलक अछि। काजल बतौलनि जे दोसर लड़की सभकेँ हॉकी खेलैत देखैत छलहूँ हमरो इच्छा भेल। हम अपन इच्छा माँ-पिताजीसँ साझा केलहूँ आ ओ दुनू गोटे खेलक लेल प्रोत्साहित कएलनि। माँ-पिताजीक प्रेरणासँ हम आगा बढ़ी रहल छी।

काजलक शुरुआती पढ़ाई-लिखाई संत थॉमस स्कूलसँ भेलनि। 2013 मे मुख्यमंत्री आवासीय एकलव्य प्रशिक्षण केंद्र पूर्णियाक लेल चुनल गेलिह। तकरा बाद ओ पाँछा मुड़ी क’ नै देखलिह आ लगातार हॉकीकेँ मैदानमे अपन जलवा देखा रहलिह अछि। काजल हालक पाँच सालमे बतौर खिलाड़ी बेहतरीन प्रदर्शन क’ रहल छथि। राष्ट्रीय खेलो इंडिया हॉकी चैंपियनशिप 2016मे जिलाक टीम तेसर स्थान पर रहल छल, जाहिमे काजल  सर्वाधिक गोल केने छलीह। राष्ट्रीय जूनियर महिला हॉकी चैंपियनशिप 2013, 2014, 2015, 2016, 2017, 2018 जिला टीम चैंपियन रहल जाहिमे काजल बतौर फारवर्ड खिलाड़ी शानदार योगदान देलनि। 2018 राष्ट्रीय सीनियर महिला हॉकी चैंपियशिपमे काजल बिहार महिला टीमक हिस्सा छलिह। काजल आब राष्ट्रीय हॉकी टीममे जगह पयबाक सपना रखैत छथि आ देशक प्रतिनिधित्व करय चाहैत छथि। हुनक कोच रानूकेँ कहब छनि जे काजल हॉकी खेलक प्रति समर्पित छथि।