पटना मे पहिल बेर अंतरराष्ट्रीय फिल्म महोत्सवक आयोजन

    0
    255

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार सरकार के कला संस्कृति विभागक तत्वावधान मे पहल बेर पटना मे तीन दिवसीय बिहार अंतरराष्ट्रीय फिल्म महोत्सवक शुरूआत कायल गेल। फिल्म महोत्सव मे स्पेन, जर्मन आ फ्रांसक फिल्म देखाओल जायत। तीन दिवसीय अहि महोत्सवक शुरुआत आय उच्च न्यायालय के मुख्य न्यायाधीश इकबार अहमद अंसारी आ कला संस्कृति मंत्री शिवचंद्र राम केलनि।

    मंत्री शिवचंद्र राम अहि अवसर पर कहलनि जे, राजगीर मे फिल्म सिटी बनाओल जायत जाहि लेल राज्य सरकार काज कय रहल अछि। ओ कहलनि जे, बिहार सरकार फिल्म के बढावा देबाक लेल संकल्पित अछि। मंत्री कहलनि जे, बिहार मे सिनेमाघरक संख्या मे कमी आबि रहल अछि, ताहि कारने सरकार आब गाम मे सेहो सिनेमाघर खोलबा पर विचार कय रहल अछि।

    अहि अवशर पर मुख्य न्यायाधीश इकबार अहमद अंसारी कहलनि जे, अहि तरहक आयोजन होइत रहबाक चाही। ओ कहलनि जे, फिल्म मात्र मनोरंजनक लेल नहि बनबाक चाही बल्कि अहि मे एकटा सन्देश हेबाक चाही। अंसारी कहलनि जे, अहि तरहक आयोजन सं विदेशी संस्कृति आ कलाक विषय मे हमर युवा वर्ग के अधिक स अधिक जानकारी भेटतनि।