भारतीय मूलक इंग्लैंड मे रहनिहार दंपति लेलनि बच्ची के गोद

    0
    286

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: विशिष्ट दत्तक ग्रहण संस्थान दरभंगा के माध्यम सं एकटा भारतीय मूलक इंग्लैण्ड मे रहनिहार दंपति हरमन कौर एकटा बच्ची के गोद लेलनि। अहि अवसर पर दरभंगा के जिलाअधिकारी डा0 चंद्रशेखर सिंह सहित बहुतो गणमान्य उपस्थित छलाह। हरमन कौरक पैतृक गांव चंडीगढ़ अछि, आ ओ वर्तमान मे अप्पन पति कुल्जिन्दर खेलाक संग इंग्लैण्ड मे रहैत छथि।

    हरमन कौर इंग्लैण्ड मे कॉस्मेटिक डिजायनर के काज करैत छथि आ हुंकार पति इंग्लैण्ड मे बीबीसी न्यूज़ मे कार्यरत छथि। हरमन कौर मीडिया स बात-चीत मे कहलनि जे, हुनकार विवाह के 15 वर्ष बीत गेल मुदा एखन धरि संतानक सुख नहि भेटलनि। तहन जा कय दू वर्ष पहिने कारा के माध्यम स बच्चाक तलाश शुरू केलहु आ आय कामयाबी भेटल।

    ओतहि दरभंगा के जिलाधिकारी चंद्रशेखर प्रसाद कहलनि जे, दरभंगाक ई पहिल मौक़ा अछि जहन कोनो विदेशी दाम्पत्य एतय आबि कय बच्चाक गोद लेलनि।