रहुआ-संग्राममे नवाह संकीर्तन’क लेल निकालल गेल ‘कलश शोभा यात्रा’

    0
    290

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक रहुआ-संग्राम गाममे दिनांक बृहस्पति दिन सं अखंड नवाह संकीर्तन महायज्ञ शुरू भेल। अहि अवसर पर बृहस्पति दिन 251 कुमारि कन्या द्वारा कलश शोभा यात्रा निकालल गेल। सब कन्या बाबा पारसमणिकें पोखरि सं जल भरि गाम भ्रमण कए पुन: नवाह स्थल पर कलशकेँ यथा स्थान कए देलनि।

    अहिकें संग पारसमणि नाथ स्थानक भक्तिमय वातावरण नौ दिन तक कीर्तन भजन संग गुंजाइमान रहत। एहि अवसर पर पूर्व मुखिया सह नवाह आयोजक मंडलक अध्यक्ष कमला कान्त झा, सच्चिदानंद झा, दुखमोचन झा, हरिश्चन्द्र झा, गंगा प्रसाद झा, राजकांत झा, विजयभानु सिंह, गणेश प्रसाद सिंह, शिलाकांत झा, सोहन मिश्र, दिवाकर झा सुमनजी, नन्द कुमार मिश्र, घनश्याम झा, मिथिलेश झा, बोलबम झा, बाबूसाहेब झा, राजा मिश्र, रतनजी झा, बेचन मंडल, लक्ष्मी मंडल, बुधियार मंडल, महिचन्द्र झा, महेन्द्र ना० सिंह, मायानंद पंडा, अशोक पंडा, तारानंद पंडा, कन्हैया पंडा, अमरनाथ पंडा, राधव पंडा आ सम्पूर्ण ग्रामीण उपस्थित छलाह।