राजग आओर महागठबंधन पर पप्पूक निशाना, जऽ सरकार आओत तऽ गरीब केँ देब फ्लैट

0
548

पटना, मिथिला मिररः जन अधिकार पार्टी (लोकतांत्रिक) केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव लगातार चुनावी रैली मे व्यस्त छथि। रविदिन पप्पू यादव पटना मे विभिन्न कार्यक्रमक माध्यम सऽ चुनाव प्रचार कएलनि। जाप अध्यक्ष एके संगे राजग आओर महागठबंधन दुनू केँ आलोचना करैत कहला जे ई दुनू राजनीतिक गठबंधन दलित विरोधी अछि। पप्पू यादव एक बेर फेर सऽ दलित मुख्यमंत्रीक मांग कए नीतीश कुमार आओर तेजस्वी यादव दुनू पर निशाना सधलनि। पप्पू यादव कहलनि जे बिहारक अगिला मुख्यमंत्री कोनो दलित समुदाय सऽ होएबाक चाही आ ई चेहरा मीरा कुमार, जीतन राम मांझी आओर चिराग पासवान केँ बनाएल जाए। जे कोनो राजनीतिक दल उक्त मे सऽ कोनो उम्मीदवार केँ मुख्यमंत्री पदक उम्मीदवार बनाओत ओहि पार्टी केँ जाप अपन समर्थन देत।
पप्पू यादव 30 साल बनाम 3 सालक नारा दैत कहलनि जे एक बेर हुनको अवसर भेटबाक चाही। जऽ बिहारक जनता हुनका अवसर देत तऽ ओ बिहारक तस्वीर बदलि देताह। जाप अध्यक्ष कहलनि जे बिहार मे पर्यटन मे अपास संभावना छैक, इतए कृषि आधारित रोजगार पर जोर दैत कहलनि जे बिहारक विकास मे कृषि आधारित रोजगार मीलक पाथर साबित भए सकैत अछि। वित्त रहित शिक्षकक बात करैत पप्पू यादव कहलनि जे जऽ हमर सरकार आओत तऽ वित्त रहित शिक्षक केँ तीन मासक भीतर नियुक्ति कए देल जेतनि।
पटनाक कुम्हरार मे कार्यकर्ता केँ संबोधित करैत पप्पू यादव कहलनि जे जऽ राज्य मे जन अधिकार पार्टीक सरकार आबैत अछि तऽ प्रत्येग गरीब परिवार केँ वन बीएचके घर देल जाएत। गरीबी रेखा सऽ नीचा रहि रहल परिवारक बच्चा सभकेँ मजदूरी नहि करए पड़तैक। बच्चा सभक लेल नीक स्कूल व्यवस्था कएल जाएत आ हाॅस्टलक व्यवस्था सेहो कएल जाएत। पप्पू कहलनि जे तीन सालक भीतर जऽ बिहार केँ एशियाक नंबर वन नहि बना देता तऽ ओ राजनीति सऽ संन्यास लए लेताह।