मुंगेर मे मिनी गन फैक्ट्रीक खुलासा, हथियारक संग 10 अपराधी गिरफ्तार

    0
    292

    मुंगेर, मिथिला मिरर: मुंगेर पुलिस के बुधदिन अवैध हथियार निर्माणक खिलाफ बड पैघ सफलता हाथ लागल। मुंगेर पुलिस बर्रा पहाड़ी पर छापामारि कय मिनी गन फैक्ट्रीक खुलासा केलक अछि, संगहि अहि अवैध धंधा मे शामिल 10 टा अपराधी के गिरफ्तार केलक। मुंगेरक बर्रा पहाड़ी क्षेत्र नक्सल प्रभावित इलाका मानल जाईत अछि। कहल जाईत अछि जे, पुलिसक लगातार दबाबक कारण अवैध हथियार निर्माणक धंधा मे लागल लोक अप्पन ठेकान बर्रा पहाड़ी पर बना लेने छल।

    पुलिस अधीक्षक आशीष भारतीके अनुसार छापेमारी के दौरान दस पूर्ण निर्मित पिस्तौल, दस अर्द्धनिर्मित मैगजीन, 12 अर्द्धनिर्मित पिस्तौल, एक लोड कायल देशी कट्टा, 10 वेश मशीन, दू ड्रिल मशीन, दू हैंड ड्रिल मशीन समेत बहुतो सामान बरामद कायल गेल।

    पुलिस अहि मामला मे गोपाल बिंद, जमशेद, खुर्शीद आलम, औरंगजेब, बाबर, बालकरण बिंद, रिजवान, आजम खान, इजाद खान और सूरज बिंद के गिरफ्तार कयलक अछि, जाहि मे अधिकांश लोक आर्म्स एक्ट के तहत पहिनहु जेल जा चुकल अछि।