बिहार टॉपर घोटाला मामला: 32 टा आरोपी के खिलाफ चार्जशीट दाखिल

    0
    246
    एसआईटी अहि मामला मे चारि हजार स अधिक पन्ना के चार्जशीट दायर कायल गेल अछि आ एखन धरि 51 गोटे सं पूछताछ कायल गेल अछि। एसआईटी अधिकारी के अनुसार अहि मामला मे 32 टा आऱोपी के खिलाफ आरोप पत्र दाखिल कायल गेल अछि। आऱोपी के खिलाफ 164 गोटेक बयान, सरकारी गवाहक गवाही आ भारी-भरकम दस्तावेज पर आऱोपी के सजा भेटबाक उम्मीद टिकल अछि।

    एसआईटी के जांच मे चौंकय बला खुलासा कायल गेल अछि। बताओल गेल अछि जे, टॉपर्स घोटाला के सरगना आ बीएसईएस के चेयरमैन लालकेश्वर प्रसाद विद्यार्थी के नहि, बल्कि सरकार के सेहो चूना लगा रहल छलाह। लालकेश्वर बिहार बोर्ड के चेयरमैन के सैलरी लेबाक संग-संग पटना यूनिवर्सिटी स प्रोफेसरक सैलरी सेहो लैत छलाह।